अध्याय २

1 आहां सब त अपन अपराध सब आ पापसबमे मरल रैहियै । 2 ऐ संसारके चलनके अनुसार आहांसब एहन बातसबमे एकबेर चलल रैहियै । आकाशके शक्‍तिके शासक के अनुसार आहां सब चलल रैहियै । यी ओकर आत्मा है, जे आज्ञा पालन नै करबाला के धियापुता सबमे काम करै है । 3 अपनासब एकबेर यी सबहे विश्‍वास नै कर बाला सब जरे रैहियै । अपना सबके शरीरके खराब इच्छा अनुसार काम करैत चलियै देह आ मनके इच्छा अनुसार काम करैत रैहियै । अपनासब स्वाभवे सअ दोसर आदमी सब जाका क्रोधके धियापुता रैहियै । 4 लेकिन परमेश्‍वर अपन महान प्रेम सअ अपन सबके प्रेम केलाके कारण ओ दयामे धनीक छै । 5 जब अपनासब अपन अपराध सबमे मरल रैहियै,ओ अपन सबहे कोयके संगे मशिहमे लबका जीवनमे लौल कैय । ओकर अनुग्रह सअ आहां सब बचाउल गेल छी । 6 मशिह येशूमे अपनाबसके परमेश्‍वर उठौने छै आ स्वर्गके जगह सबमे ओकरा संगे बसौने छै । 7 आव बाला दिन सबमे ओकर अपार अनुग्रहमे अपनासबके प्रकट करावके लेल ओ एना केलकैय । माशिह येशूमे ओकर दाया सअ ओ यी देखबै छै । 8 कैलाकी आहांसब अनुग्रहके कारण विश्‍वास सअ बचाउल गेल छी । आ यी आहांसब सअ नै एल है लेकिन यी परमेश्‍वरके उपहार है । 9 काम सब सअ नै अहीकारण कोय घमण्ड नै कर सकैय । 10 कैलाकी अपनासब परमेश्‍वर बौहते पहिले सअ योजना केने रहल असल काम करके लेल आ अपनासब ओय बमोजिम चलु कैह कैय मशिह येशूमे रचल ओकर हातके शिप छियै । 11 अहीकारण सअ यी बात सम्झू, कि एक समय आहां सब शरीरमे गैर यहुदीसब रैहियै । आदमी सबके हात सब सअ देहमे खतना भेल आदमीसब आहां सबके खतना नै भेल बाला कैह कअ बोलबै । 12 कैलाकी ओय समयमे आहां सब मशिह सअ अलग रैहियै । इस्राएलके आदमी सबके लेल आहांसब बिदेशी रैहियै । आहांसब बाच्चाके सर्त सअ दुर रैहियै । आहांसबके आब बाला दिनके लेल कोनो (पक्का) नै रहै । आहांसब परमेश्‍वर बिना अय संसारके रैहियै । 13 आहांसब एक समयमे परमेश्‍वर सअ दुर भअ गेल सब, आब येशू मशिहके खुनसअ मशिह येशूमे परमेश्‍वर लग लगने लावल गेल छी । 14 कैलाकी ओ अपनासबके शान्ति छै । ओ दुगोके एक बनौलकै । अपनासबके एक दोसर सअ अलग करबाला दुश्‍मनके देवालसब ओकर शरीरमे तोडल गेलै । 15 या ओकरेमे एकटा लबका आदमी रच के लेल, ओ नियमसबके आ आज्ञासबके कानुनके खारिज कअ देलकै । ओ मिलाप करौलकैय । 16 ओकर क्रुसे सअ दुगो आदमीके परमेश्‍वरमे देहमे एक बनावके लेल ओ एना केलकै । क्रुसेमे ओ दुश्‍मनीके नाश केलकै । 17 येशू एलै आ बौहते दुर आ लगमे भेल सबके ओ शान्तिके घोषना केलकैय । 18 कैलाकी येशू सअ अपनासब दुनु कोय एकैटा आत्मामे पितालग जाय सकबैय । 19 अहीकारण आहां यहुदीसब कोनो लबका आदमी आ बिदेशी नै छियै । लेकिन सबहे परमेश्‍वरके लेल अलग केल गेल सब जरे ओकर राज्यके सँगी नागरिकसब छियै आ परमेश्‍वरके परिवारके आदमी छियै । 20 आहांसब प्रेरित आ भविष्यवक्तासबके जगके उपर बसाउल गेल छियै । मशिह येशू अपने कोनके पथर छै । 21 येशू मशिहमे ओकर सबहे काम मिल्ते जेतै आ प्रभुमे एकैटा मन्दिरके रुपमे बैढते जेतै । 22 आरो ओकरे मे आहां सब सेहो पवित्र आत्मेमे परमेश्‍वरके रह बाला जगहके रुपमे सँगे बैनते जा रहल छी ।