अध्याय १

1 पावल परमेश्‍वरके इच्छा सअ येशू मशिहके एकटा प्रेरित सअ परमेश्‍वरके लेल अलग केल गेल एफिसीसमे भेल सब आ मशिह येशूमे विश्‍वास करके लेल योग्य भेलसबके, 2 अपना सबके पिता परमेश्‍वर आ मशिह येशू सअ आहांसबके अनुग्रह आ शान्ति । 3 परमेश्‍वर अपना सबके प्रभु येशू मशिहके पिताके प्रशंसा होय । जे परमेश्‍वर अपना सबके सब प्रकारके आत्मिक आशिष सभ स्वर्गके जगह सबमे आशिर्वाद देने है । 4 परमेश्‍वरके सामने पवित्र आ कोनो प्रकारके दोष नैय भेल होब सकी कैह कअ ऐय संसारके रचना होब सअ पहिले अपना सब मशिह मे विश्‍वास कर बाला सबके ओ चुनल कैय । 5 प्रेममे परमेश्‍वर अपना सबके येशू मशिह सअ अपने निज पुत्रसबके रुपमे स्वीकार करके लेल पक्का केलकै । ओ एना केलकै कैलाकी ओ परमेश्‍वर अपना योजनाके पुरा करके लेल ओ खुशी भेलै । 6 कारण यी है कि परमेश्‍वरके महिमा बाला अनुग्रहके कारण सअ सबहे कोय ओकर प्रशंसा करै । यी अनुग्रह ओअपन प्रिय पुत्र द्वारा मङनीएमे अपना सबके देने है । 7 अपार अनुग्रह सअ ओकर प्रिय पुत्र के खुन सअ छुटकारा आरो पापके क्षमा पबै छियै । 8 पुरा बुद्धि आ पुरा समझमे ओ यी अनुग्रह बौहते कक अपना सबके देने छेलै । 9 परमेश्‍वर अपन इच्छा अनुसार मशिहमे इजोतमे जे लौने रहै अपन योजना के छुपल सच्चाईके अपनासबके लेल प्रकट केलकै । 10 परमेश्‍वर स्वर्ग आ धरतीके सबहे कुछ के एक साथ लौतै । 11 येशू मशिहमे अपना सबपरमेश्‍वरके सन्तानके रुपमे चुनल रैहियै । सबहे कुछ अपन एच्छा सअ करबालाके योजनामे अपनासब पहिले चुनल रैहियै । 12 महिमाके होय कैय कअ अपना सब जीय सकी कैह कअ परमेश्‍वर एना केलकै । अपना सब मशिहमे भरोसा राख बाला पहिलका आदमी सब रैहियै । 13 मशिहमे आहां सबके सही वचन, आहांसबके छुटकाराके असल खबर सुन्लाके बाद,ओकरे मे आहांसब विश्‍वास केने छी आ सर्त सहितके पवित्र आत्माके छाप लगाउल गेल छेलीयै । 14 अपना सब अपन हक जब तक नै पौबै पवित्र आत्मा अपनासबके पक्काके लेल प्रमाण छै। यी ओकर महिमाके लेल है । 15 अही कारण सअ प्रभु येशू माशिह मे भेल आहांसबके विश्‍वासके बारेमे आ ओकरा लेल अलग केल गेल सबके लेल आहांसबके प्रेमके बारेमे जैय समय सअ हम सुन लियै यअ 16 हम आहां सबके लेल परमेश्‍वरमे धन्यवाद दैला आ हमर प्रार्थना आहांसबके याद करै ला नै रोक्ने छियै । 17 हम यी प्रार्थना करै छियै कि अपनासबके प्रभु येशू माशिहके परमेश्‍वार माहिमा के पिता आहांसबके बुद्धिके आत्मा आ ओकर ज्ञानके इजोत दैय । 18 हम यी प्रार्थना करै छियै कि अपनासबके बोलाहटके पक्का-पक्की कथि है कैह कअ जानके लेल आहांसबके हृदयके आइख सब देखै आ ओकर लेल अलग केल गेल सबके बिचमे ओकर हकके महिमाके सम्पत्ती कथि है से आहांसब जान सकू । 19 विश्‍वास करबाला अपनासबके ओकर शक्‍तिके अपार महान्ताके विषयमे आहां सब जानू कैह कअ हम प्रार्थना करै छि । यी महान्ता ओकर महान सामर्थ के काम है । 20 यी येहा शक्‍ति है जे परमेश्‍वर मशिह येशूके मरल मेस जीया देलकै आ स्वर्गके जगह सबमे ओकर दाहिना कात मे येशूके बैय नैलकै तैय समयमे येशू मशिहमे काम कैर ते रहै । 21 ओ परमेश्‍वरय येशूके सबहे शासन, सबहे अधिकार, शक्‍ति, प्रभुता आ सबहे नाम सअ उपर रखल कैय । ऐ जुगके लेल मात्रे नै, लेकिन आब बाला जुगके लेल सेहो ओ मशिहके रखने छै । 22 परमेश्‍वर सबहे कुछ येशू मशिहके पाउमे राइख देने है आ ओकरे मण्डलीमे सबहे कुछ के उपर मथा बना देने है । 23 ओ सबहे तरह से सबहे कुछ पुरा करतैय आ ओकर पूर्णता ओकर देह, मण्डली है ।