अध्याय ३

1 अहिकारण हम पावल,आहां गैरयहुदीसब के लेल येशू मशिहके एक कैदी छि । 2 आहांसबके लेल परमेश्‍वर हमरा जे अनुग्रह देने है ओकर कामके विषयमे आहांसब सुनने छी कैहक हम बिचार करै छी । 3 हमरा जे प्रकाश मिल लैय ओही आधारमे हम यी बात सब लिख रहल छी । हम दोसर चिठ्ठीमे हमर छोट रुपमे लिखल बात एकटा छुपल सच्चाई है । 4 जब आहांसब ऐ के बारेमे पढबै,तब मशिहके छुपल सच्चाईके बारेमे हमरा लअ भेल भितरका बात के बारेमे आहांसब बुझह सकबै । 5 यी सच्चाई दोसर पुस्तासबके आदमीसबके नैय बातउल गेल रहै । लेकिन अखन ओकरामे समर्पित प्रेरित सब आ भविष्यवक्तासबके पवित्र आत्मा सअ यी प्रकट भेल छै । 6 यी छुपल सच्चाई येहा है कि सु-समाचार द्वारा दोसर जातीसब संगी हक बाला सब है, एकैटा शरीरके अंगसब आ मशिह येशूमे रहल बच्चाके सझिया है । 7 ओकर शक्‍तिके काम सअ हमरा देल गेल परमेश्‍वरके अनुग्रहके वरदान सअ हम ऐय सु-समाचारके सेवा करबाला भेल छी । 8 परमेश्‍वरके लेल अलग केल गेल सब मे सअ हम सबहे सअ छोट छियै, लेकिन तैयो हमरा यी वरदान देलकैय । दोसरजाती सबके मशिह येशूके अथाह धनके बारेमे सु-समाचार सुनावके लेल यी वरदान हमरा देल गेलै । 9 सबहे आदमीसबके परमेश्‍वर छुपल योजनाके बारेमे हमरा देखार कर परतैय । पहिले यी योजना सबहे चिज के रच बाला परमेश्‍वर सअ बितल जुग सबमे छुपाउल रहैय । 10 ओकर मनसाय यी रहै कि अखन स्वर्गके जगह सबमे भेल शासक सब आ अधिकार करबाला सब मशिह मण्डलीके देख कअ परमेश्‍वरके बहुत प्रकारके बुद्धि के जाइन सकैय । 11 अपना सबके प्रभु मशिह येशूमे ओकर सअ पुरा केल गेल कैहियो अन्त नै होवबाला योजनाके अनुसार यी हेतै । 12 कैलाकी मशिहमे ओकरा उपर अपनासबके विश्‍वासके कारण अपनासब साहस और पक्का भरोसा पौने छि । 13 अहीकारण सअ, आहांसबके लेल हम जतेक दुःख उठौने छि ओय सअ आहांसब हिम्मत नै हारू कैह क हम आहांसब सअ बिन्ति करै छी । कैलाकी आहांसबके लेल त यी गर्भ के बात है । 14 अहीकारण सअ हम पिताके सामनेअपन ठहुनिया अरै छियै । 1 15 जेकर पछारुमे स्वर्ग आ धरतीमे भेल सबहे परिवारके नाम राखल गेल है । 16 ओकर अपार महिमा के अनुसार आहांसबके बास करबाला ओकर आत्माके शक्‍ति सअ ओ आहांसबके मजबूत बनबैय कैय कअ हम प्रार्थना करै छी । 17 आहांसबके विश्‍वास द्वारा येशू मशिह आहांसबके हृदयमे बास करै कैह कअ हम प्रार्थना करै छि । 18 ताकी ओकर प्रेममे सबहे विश्‍वासीसब जरे मशिहके प्रेमके चौडा कते हैय, लम्बा कते है, उच कते है आ गहिर कते हैय कैह कअ आहांसब बुझह सकी । 19 आहांसब मशिहके प्रेमके महान्ताके बुझ सकी कैह कअ हम प्रार्थना करै छी, जे ज्ञान सअ उत्तम है । आहांसब परमेश्‍वरके सबहे पुर्णता सअ भैरजाउ । 20 आब अपनासबके भितर काम करबाला ओकर शक्‍तिके अनुसार, अपना सब जे मङबै आ जे बिचार करबै सबहे चिज सब सअ बौहते उपर सबहे कुछ कर सक बाला ओकरे 21 मशिह येशूमे भेल सबहे पुस्तासबके मार्फत आ मण्डलीमे ओकरा सबहे दिन तक युग-युग तक महिमा होय । आमेन् ।