1 गुलामीके जुआके तरमे भेल सबलोसब अपना मालिकके पुर्ण सम्मानके योग्य बुझू, जहिसे परमेश्वरके नाम आ अपनासबके शिक्षाके निन्दा नैई होइ, 2 जई दासके मालिक प्रभु येशू पर विश्वास करैहैई उ सबकोइ विश्वासमे भाई होइअ ओइकारण से ओकरासबके अवहेलना नई करु । बल्की उ सब मालिकके आदर बढियासे सेवा करेचाही । 3 मानु के उ आन तरिकासे शिक्षा दै हई आ परमेश्वरके कहल बात अपनासबके विश्वासयोग्यके शिक्षा अर्थात अपनासबके प्रभु येशूमशिहके वचनके स्वीकार न ई करैइ हई । आ ओई शिक्षा सं सहमत नई होइय, जे असली भक्ती उत्पन करई हई । 4 उ आदमी घमण्डी आ अज्ञानी हई । ओकरा झगडा करेकेआ शब्द सबके विषयमे बिना मतलब वाद-विवाद करेके रोग लागल हई । अई प्रकारके वाद-विवाद से दुश्मनी, निन्दा आ दोसर लोकसब पर यी शब्दसबसे डाह,कलह,बदनामी आ खराब संखा सब उत्पन करबैछई । 5 जेकरा सब के वुद्धि भ्रष्ट भ गेल हइ ओहने लोक हरदम झगडा करबैइ छई । उ लोकसब सत्यबातसे दुर रहइछई । जे सब भक्तीके धनिक होइके साधन मानीइछई । 6 आब सनतुष्टि सहितके भक्ती से बहुत फाइदा होइछई । 7 कैलाकी अपनासब संसारमे किछो नई लक आयल्छी, न इ त किछु लक न जायब । 8 लेकिन अपना सबके भोजन आ बस्त्र हई त ओहीसे सन्तुष्ट रही । 9 आब धनिक होइ चाहेबाला सब प्रलोभमे पइर जाइछइ । उ मुर्खतापुर्ण आ हानीकारक लालसाके जालमे फइसजाइ छइ आ लोकसबके वरबादी आ विनाशके खधियामे खसा दैइ हइ । 10 रुपैया पैसाके मोह सब किसिमके खराबीके जैर हई । पैसाके लोभमे पइडके कतेक लोकसब विश्वाससे भटइके खराब रास्तामे लागल हई,आ बहुत दुःख पिडा से ओकरासबके हृदयमे घोपल हई । 11 लेकिन परमेश्वरके भक्त अहां अहिसब बातसे दुर भागु,आ धर्मिकता,भक्ती,प्रेम,धिरज आ नम्रताके साधनामे लागु । 12 विश्वासके उत्तम लडाइ लरु । ओइ अन्नत जिवनके पकडने रहु । जे जिवन पावेके लेल अहां बोलाइलगेली आ अहां अपना विश्वासके विषयमे बहुत लोकसबके समक्ष असल गवाही देली । 13 सब चिजके जिवन देवेबाला परमेश्वर आ पन्तियस पिलासके समक्ष असल गवाही दियबाला मशिह येशूके सामन्ने, हम अहांके आज्ञा दैई छी । 14 कि अहां अपनासबके प्रभु येशू मशिहके प्रगट होइतक अई आज्ञाके सिद्ध आ दोषरहित राखु । 15 आवर धन्य सर्वशक्तीमान, राज्य करेबाला राजा, शासन करेबाला परमप्रभु परमेश्वर प्रभु येशू मशिहके वैई उचित समय पर प्रगट करथीन 16 परमेश्वर एक मात्र अमरताके स्रोत हइ आ ओहन इजोतमे वास कटैइ जेकरा लगमे कोइ नइ आ सकैय । परमेश्वरके कोनो आदमी कहियो नई देख्ने हई आ नई कहियो कोइ देखसकैइय । ओही परमेश्वरके सम्मान आ शक्ती सदासर्वदा होइ । आमिन । 17 अइ संसारके धनिक सबके घमण्डी अई संसारके धनिकसब के अभिमानी नैई हुए के आज्ञा दियौउ । संसारके धन पर नई नैई, आ अश्चित सम्पतीपर आशा नई करेके कहु । लेकिन परमेश्वर पर भरोसा राखेय, जे अपनासबके आन्नदित करेकेले सब चिजसब वेक्षी से दैई हई । 18 उ सब असल काम करैत रहेय, उ सब असल काम मे धनीक बनैत रहेय, कन्जुस नई रहेय, आ दोसर लोकसबके भलाई करेके मन राखे । 19 अहिना के ऊ सब अपना लेल एहन पुजी जम्मा करत जे भविष्यके आबेबाला दिन एक उत्तम अधार रहतैय, जेकराद्धारा ऊ सब कहियो नाश नई हुएबाला जिवन प्राप्त करत जे वास्तबमे जिवन हैई । 20 तिमोथी अहां के जिम्मामे जे दियल गेल हई ओकरा रक्षा करु । मुर्खतापुर्ण वाचचित आ निर्धक बकवाद जे झुठ ज्ञान हैई, तैई से दुरे रहु । 21 कतेक लोकसब अई ज्ञानसबके स्वीकार करैइहई , आ एहिना कके उ सब विश्वासके मार्गसे भटैक गेल हई । अहां पर कृपा बनल रहओ ।