अध्याय ५

1 वृद्ध परुषसबके नै डाटीयौ बल्की ओकरा सबके अपन बाबु जेका माईनके आग्रहपुर्वक समझाउ-बुझाउ । जवान सबके अपना भाइ जेका समझाउ 2 वृद्ध स्‍त्रीसबके अपन माई जेका; जवान स्‍त्रीसबके बहिनमाइनके ओकरासबके साथ एकदम पवित्र भावनासे व्यवहार करु । 3 जे सब वास्तबमे विधवा है; ओकरासबके सम्मान आ सहायाता करु । 4 लेकिन यदि कोनो विधवाके बेटाबेटी चाहे नातीपोता सब है त सबसे पहिने ई सिखाबेके चाही जे माई, बाबु, दाई, बाबा सब जे हमरासबके पालन पोषण कयलक तेकरा तई उपकारके ऋण चुकाउ । कैलाकी एहन बातसब परमेश्‍वर खुशी होइछै । 5 लेकिन जे विधवा निःसहाय है, ओकरा देखबाला कोई नै है ओकर अन्तिम भरोसा परमेश्‍वर पर राइखके राइत आ दिन बिन्ती आ प्रार्थनामे लाग्ल रहतै । 6 लेकिन जे विधवा भोगविलासमे लागल हई , से स्‍त्री जिवित होइतो मइरगेल है । 7 आ यी बातसबके मण्डलीमे सब लोकसबके सिखाउ (आज्ञा) सन दिऊ जहिसे ( विश्‍वाससब ) उ सब निन्दा से वचन रहे। 8 यदि जे केउ अपना कटुमउ ब आ विशेष कके अपने परिवारके सदस्य सबके रेख देख नई करैछै से विश्‍वास त्याइग देले है आ ऊ अविश्‍वासीयो से भ्रष्‍ट भगेल है । 9 साइठ वर्ष वर्षसे कम उमेर भेल एकटा पतिके पत्नी आ पवित्र रहल स्‍त्रीसबके मात्र विधवासबके नाममे लिखब । 10 उ सब भलाइके काम सब से चिन्हल जाइ चाही, चाहे उ सब अपन बालबच्चासबके ठिक से पालन पोषण कयने होइ । चाहे अन्जान लोकसबके सेवा, सत्कार कयने होइ चाहे प्रभुके सेवकसबके पैर धोयने होई, दिन दुःखी सबके सहायाता कयने होई । 11 लेकिन कमउमेर भेल विधवासबके नाम विधवासबके सुचीमे नइ लिखु, कैलाकी ओकरासबके शारीरिक अभिलाषासब मशिहसे दुर लजयतई तब ओकरासबके विवाह करेके इच्छा होतई । 12 अइसे उ सब अपन पहिलका करार भङ्‍ग कयलाके खातीर दोषके बशमे पइर जाइछई । 13 उ सब समय बरवाद करेबाला आ अङगने-अङगने घुमानाई ओकरासबके आदत भ जाई छई । यई तरहसे उ सब आलसी मात्रै नई बल्की वजकरीई आ दोसरके काममे टाङ्ग अडा बेबाली बइनजाइछई । 14 यहिकारण से हम चाहै छि जे जवान विधवासब विवाह करैई, सन्तान सब जन्माबे आ अपन घर व्यवहार चलाबे; जहिसे विरोधीसब मण्डलीके विश्‍वासीसबके निन्दा करके मौका नई पाबे । 15 कैलाकी एखनीयो त कुछ विधवासब भटैइके शैतानके पछाडी चल लागल हई । 16 जदि कोनो विश्‍वासी स्‍त्रीके परिवारमे विधवासब हई, त उ सब वई विधवासबके सहायाता करैई, ताकी मण्डली पर विश्‍वाससबके बोझा नई राखल जाई, जइसे माण्डली वई विश्‍वास विधवासबके सहायाता कर सके जेकरा वास्तबमे केओ नहई । 17 माण्डलीके ठिकप्रकारसे रेखदेख कयनिहार अगुआ सबके दोबर आदर सम्मान योग्यके बुझ चाही, विशेषरुपसे जे सब परमेश्‍वेरके वचन प्रचार करेके काम आ सिखाबके काम करैई है । 18 कैलाकि परमेश्‍वरके वचन मे लिखल हई कि, दाउनी करेबाला बैलके मुहमे जाबी नई लगवही आ मजदुरके अपन मजदुरी पाबेके पुरा अधिकरा (हक) हई । 19 दु आ तिन कोइके गवाहीके बिना मण्डलीके रेखदेख करबाला पर लगाल दोषके स्वीकार नकरु । 20 जे सब पाप करै हई त ओकरासबके सामने डाटु, जइसे दोसरे लोकसब पाप करेसे डेराइल लागत । 21 हम परमेश्‍वर, मशिह येशू आ हुनकर चुनलगेल स्वर्गदुतके सामने अहांके स्पष्‍ट आज्ञा दै छिइ, कोनो भेदभाव बिना यहि नियमसबके पालन करु । आ कोनो बातके लेल पक्षपात नई करु । 22 केकरो पर तुरुन्त हात नई राख अनकार (दोसर) के पापके भागी न बनु । आ अपनाके पवित्र राखु । 23 अटा पानी मात्रै नहि पिऊ, बल्की पेट के लेल आ स्वस्थ्य ठिक राखेके लेल कैनका दाखमध पिऊ । 24 कुछ लोकसबके पाप प्रत्यक्ष होइ छई आ उ सब न्यायी जाँचसे पहिने दोषी प्रमाणीत भ जाइछई । लेकिन कुछ लोकके पाप बादमे प्रगट होइछई । 25 वहने कके कुछ बनिया काम सब सेहो प्रत्यक्ष देखल जाइ हई, लेकिन आवर काम सबके नइ नुकाबे सकइय।