1 हे बेटाबेटी सब, प्रभुमे आहांसबके माई बाबुके आज्ञा मानू, कैलाकी यी उचित है 2 अपन माई बाबुके आदर करु” जे बच्चा सहितके पहिलका आज्ञा है । 3 जब एना करब त आहांसबके कल्याण होय आ आहांसब ऐय धरतीमे बौहते समय तक जीय सकू । 4 और हे बाबु सब अपन बेटाबेटाबके नैय रिसबीयै । बल्की ओकरा प्रभुके अनुशासनमे आ शिक्षामे बर हबियौ । 5 हे दास सब, जेना मशिहके आज्ञा पालन करै छी तहिना बरका आदर आ डर माइन कअ आहांसबके हृदयमे कोनो कपट नैय राइख कअ संसारके मालिक सबके आज्ञा पालन करु । 6 अपन मालिक के देखा कअ ओकरा खुशी करके लेल मात्रे आज्ञा पालन नै करु । बल्की मशिहके दास सब जाका आज्ञा पालन करु । आहांसबके हृदय सअ परमेश्वरके इच्छा पुरा करु । 7 जेना आदमीबसके सेवा करै छियै तेना नैय लेकिन अपन पुरा हृदय सअ जेना परमप्रभुके सेवा करै छियै तहिना सेवा करु । 8 आहांसब यी जानु, कि आदमीके करबाला सबहे बनिया कामके लेल उ परमप्रभु सअ इनाम पौतैय, चाहे उ आदमी दास होय आ नै होय । 9 हमसब मनुष्यके गवाही स्वीकार करैछी त परमेश्वरके गवाही और महान छैयई । किया त परमेश्वरके गवाही इहे हैयकी, उन्कर पुत्रके गवाही हैइके । 10 अन्तमे, प्रभुमे आ ओकर शक्तिके सामर्थमे बलगर होउ । 11 परमेश्वरके सबहे हात हतियारसब पक्रु जैस आहांसब शैतानके छल कपट करबाला जालसबके बिरोधमे खार होब सकी । 12 कैलाकी अपनासबके लडाई शरीर और खुनके बिरोधमे नै है लेकिन यी त प्रधान सब से और अधिकारीसबसे और अन्हारके राज्यमे शासन करबाला सब से और स्वर्गके जगहमे भेल दुष्टके आत्मिक सेनासबके बिरोधमे है । 13 अही कारण परमेश्वरके सबहे हाथ हाथियार पक्रू जैस ऐय दुष्ट समयमे दुष्टके सामना कर सकी आ सबहे काम पुरा कक खार होब सकी । 14 तै दुवारे सत्य सअ अपन डार कसू धार्मिकताके छातीमे लगवबाला पाता लगाकअ खार होऊ । 15 आ गोरमे मिलान करब बाला सु-समाचारके जुत्ता लगाकअ तयार हौउ । 16 जरे विश्वासके ढाल हातमे लेने रहू जैस आहांसब दुष्टके सबहे अग्नीवाण मुझाव सकव । 17 आ मुक्तिके टोप लगाउ आ पवित्र आत्माके तरवार बोकू, जे परमेश्वरके वचन है । 18 सबहे प्रार्थना आ बिन्ति सअ सबहे समय पवित्र आत्मामे प्रार्थना करु । प्रार्थना कर मे सबदिन सचेत भक लागल रहु । परमेश्वरके सब लोक के लेल प्रार्थना केनाई नै छोडू । 19 आ हमरो लेल प्रार्थना करु, कि जब हम अपन मुख खोली त हमरा वचन दैय आ हम निडर भक लोक के सु-समाचारके भेदके सुना सकी । 20 जेकरा लेल हम जिन्जीर सअ बान्हल एगो राजदुत छी; आ जेना हमरा बोलक चाही, ओना हम साहस सअ बोल सकी । 21 लेकिन अहुसबके सेहो हमरा अवस्थाके बारेमे आ हमरा केना है कैह कअ होयके लेल प्रभुमे प्रिय भाई आ विश्वास करबाला चेला तुखिकस आ दाससबके सबहे बात बताउत । 22 हम ओकरा आहांसब लग एहा बिचार सअ पठौने छी, जे आहांसब हमरा बारेमे जान सकी आ उ आहांसबके हृदयके हिम्मत दिय सकै । 23 परमेश्वर पिता आ प्रभु येशू मशिह सअ भाइसबके विश्वास जरेके प्रेम आ शान्ति होय । 24 कहियो अन्त नैय हुव बाला प्रेम सअ अपना सबके प्रभु येशू मशिहके प्रेम करबाला सबहे उपर अनुग्रह रहै ।